थारुके संस्कृतिमे बौद्ध संस्कार
पूरव मेची से ल्याके पश्चिम महाकाली तक फैलके बसोबास करैवाला आदिवासी एकेटा थारुवे जाइत देखलजाइछै । थारुके इतिहास वहौत पुरान छै, लेकिन थारुसव कहिया से यै नेपाल देशमे बसोबास करैत लछै से किटानके साथ नै कैहसकैचियै । यीसब नेपालके तराई या भित्री मधेशके नदी किनारमे तथा जंगलके कछार सबम बसोबास करैवाला, मलेरियाके पचाईवाला जाइत चियै । इसापूर्व छैठौं सताव्दीम कपिलवस्तुके शाक्यवंशीसव थारुवे छेलै । कपिलवस्तुके राजा सुदोधन आ वोकर बेटा राजकुमार सिद्धार्थ गौतम थारुवे जाइतके छेलै । कोसलके राजा प्रसेनजीतके बेटा विडुडभके शाक्य गणराज्य कपिलवस्तुमे क्रमणके वाद वैइठामके थारुसव काठमाडा उपत्यकामे आईवके नेवार समाजमे घुलमिल भ्याके बौद्ध धर्मके पुनर्उत्थानमें सहयोग करलकै । वोनेभरा तराईमे रहलहा थारुसवके विभिन्न षडयन्त्र या दमन कैरके हिन्दधर्मके मानैले बाध्य क्यालगेलै शुरुमे थारुसव बौद्ध धर्मावलम्बी छेलै । लेकिन बादम शंकराचार्य आईबके जवर्जस्ती हिन्दु धर्ममे परिवर्तन कराइने छै । यैबातके पुष्टी कराबैले हम थारुके संस्कार आ संस्कृति दिसर घुइरके देखैले कहैचियै । थारुसब आपन कुल देवताके आपनैसे पूजा करैछै । थारुसब ग्रामथान, सिराथान आ अन्य देवीदेवताके थानसवमे आपनैसे अथवा धामी राइखकै पूजा करावैक चलन छै । लेकिन बाबहनसे पूजा कराबैके चलन नैछै । हिन्दु सबके मन्दिरमे मात्र बाबहन पुजेगरीमे रहैछै । थारु (थेर) के संस्कार अनुसार धियापुताके मथमुरैन संस्कार (घरपूजा) करेपरैछै त कोनो बाबहनके नै आने परैछै । और मथमुरैन संस्कारमे टिक (शिखा) नै राइखके पुरे मुन्डन करेपरैछै । येह्या चियै थारुके आपन बौद्ध संस्कार ।थारुसव जन्म संस्कारमे कहियोने बाबहनके बोलबैछै, नेकोनो जन्म कुण्डली बनाबैछै ।
बाबहनके नै बोलेनाइए बौद्ध संस्कार चियै । थारुके मृत्यु संस्कारमे छुवाछुत नै हैछै ।सबदिन भोज ख्याके छुतुक भगावैछै । यदि छुतुक लागलरहतियै त भोज खाइले कोइया नै जेतियै । मृत्यु संस्कारमे नोन, तेल, सागभात, दहीदुध, सब खाइले हैछै । यै ठाम हिन्द सबके दबाबसे या देखासिखिसे मैथिल कन्ठाहा बाबहनसे पूजाक¥याके कर्ता पवित्रीकरण कराबैके चलन थोपरल गेलछै । मृतकके १२ हौं दिनके तिथिमे श्राद्धभोज क¥याक समाजद्वारा कर्ता सुद्धिकरण क¥याल जाइछै । यैमे बाबहनके जरुरी नै परैछै । सैबसे ठोस प्रमाण त हिन्दु सबके बडादशैं मुख्य पर्वके रुपमे मानल जाइछै । लेकिन अपना थारु सबके दशैं कोनो पर्व नै चियै । भैर दशैं थारुसब भयभित रहैछै, देवीके डरसे कि कहिं देवी ने पछारे, कोनो डाइन जोगिन ने दुःख दिए । यै डरसे आपन देवताके सुमरैत रहैछै आ भैरदशैं नीतदिन देवताके साँझवाती दैतरहैछै । दशैं महालस एतेक भयभित रहैछै कि छोटका वच्चावाली स्त्रीसब लैहरमे भि रहैले डरावैछै । येकर ठिक उल्टा हिन्दु सबमे विजया दशमीके दिन टिका लगावैले आपन–आपन लैहर ज्याक खुशी मनावैछै । लेकिन थारुसब कहियौने भैर कपार ललका टिका लगाबैछै ।
थारुसबवियाहौमे लगावैछै त दहीके उजरा टिका, जे पवित्रताके प्रतिक मानल जाइछै । तै दुवार येहा मुलप्रमाणसब पेश करैत हम बहौत जोरदारके साथ कहैले चाहैचियै कि थारुसब
बौद्ध धर्मावलम्बी चियै । यै बातके और पुष्टिके लेल हम विभिन्न देश और विदेशक विद्वान सबके कहलहा वात सुनावैले चाहैचियै । सबसे पहिने देवनाथ पंजियार (देवनमुखिया) के बेटा तेजनारायण पंजियार जे बुद्ध दर्शनके अध्ययन कैरके कहैछै जे –संसार प्रसिद्ध धर्मगुरु शाक्यमूनी गौतम बुद्धके पहुनका सिद्धान्तके नाम चियै “थेर कथा” । वास्तवमे यीत थारु कथा चियै । यैठाम अडान लेलगेलछै जे बुद्धके सिद्धान्तके “गौतम” सिद्धान्त या “शाक्य” सिद्धान्त नै कैहके “थेर कथा” कथिले कहलगेलै जावेतलिक कि ऊ थारु नै छेलै । प्राचिन भारतके इतिहास जे कौइयो लिखने छै या भविष्यमे कोइयो लिख्त त वोकरा चिनियाँ यात्री फाहीयन या ह्वेनसाङ के वर्णन करेपरतै । या सेह्या फाहियान यी करने छै जे “शाक्यमूनि गौतम बुद्ध” या “सम्राट अशोक” एके जाइतके लोक छेलै अर्थात थारु छेलै । तकरा पुष्टि करैत तारानाथ सेहो कहैछै जे “सम्राट अशोक” थारु छेल । “सम्राट अशोक” एकटा बौद्ध राजा छेलै । आपन राजभैरमे चौरासी हजार स्तुप, धर्मशाला आ शिलालेख लिखवाइलकै जैमे अखैनियो बहौत क्यामे छै । जेनाकि नेपालक
लुम्बिनी के अशोक स्तम्भ, निग्लीहवा, सगरहवा आ पिपरहवाके स्तूप तेकर प्रमाण चिय ।
यी बातके पुष्टि भू. पू. महान्याधिवक्ता श्री रामानन्द प्रसाद सिंह जी आपन पुस्तक ९त्जभ चभब िकतयचथ या तजभ त्जबचग० मे प्रष्ट रुपसे लिख्ने छै जे “थारु सब बौद्ध चियै” । अर्थात थारु सवके रहनसहन चालचलन या रितिरीवाजके अध्ययन क्यालज्यात निश्चित रुपसे स्पष्ट हैछैजे थारुसब बौद्ध चियै । तहिना स्वर्गीय श्री तेज नारायण पंजियार जी भि वारम्वार कहैत येलै जे आपनासव यानी थारुसव बौद्ध धर्मावलम्बी चियै । जेनाकि ऊजरनौवा पिन्ह्नाई, मथमुरैन करनाई मूर्ति के पूजा नैकरनाई ग्रामदेवता (राजाजी थान), शिराथान मे पूजा करनाई, जातप्ूजा करनाई आदि । यै सबमे वावहनके कोना
प्रयोग नै हैछै । येतवेहेक नै कि सबसे जवर्जस्त प्रमाण त ई चियै कि आपना सबक देवता के पूजा करैतकला आ मथमुरैन करैतकला छागरपाठीके गरदनमे दवीया रेटक खुनके धार बेह्या दैचियै और ओने शिराआगुमे देवताके पूजा कैने रहैचियै तुलसीक पत्तामे शुद्ध अक्षत से । तकरा केराके पत्तासे ओहार द्याके झाँइप दैचियै अर्थात झाथैरक प्रयोग करैचियै, जे कहि हमर देवताके पूजामे ने पैरज्या कैहके । देखियौ त, यदि आपन देवता पशुके बली लेतियै अथवा पशुके खुन ख्याके खुशी हेतीयै त कि ओकर पूजाक ओहार द्याके झापैले परतियै ? यै गम्भिर प्रश्नके जवाफमे हम यी कहैसकैचियै कि हमसब “हिन्दु” नै चियै, नै हिन्दुके संस्कार छै । यी त अपना सबके उपरमे लादहल देलहा बाहिरी संस्कार चियै । जेकरा अपना सब आपन धर्म समैझरहल चियै, यी गलत बात चियै । सहिमे येह्या स्पष्ट देखलजाइछै कि महाऋषी सिद्धार्थ गौतम बुद्धके बंशज हैके नातासे हमसब आपनके “महर्षिया” बोलबैमे गौरब राखैचियै यी सबसे असल बात चियै । “भगवान गौतम बुद्ध” हमरा सबके पुर्खा चियै । यै बातके पुष्टि इतिहासकार पार्जितार आपन किताव “हिस्टोरिकल ट्रेडिसन अफ ईन्डिया” मे उल्लेख कैने छै ज भगवान बुद्ध थारु छेलै । दोसर विद्वान नालन्दापालि संस्थाके प्रो. टिसाकास्कप भि “द हिस्टोरी अफ बुद्ध” कितावमे थारुके संस्कार बुद्धिष्ट संस्कारके अवशेष चियै कैहकउल्लेख कैनै छै । तहिनङ थारु जाइतके विषयमे विशेष अध्ययन या अनुसन्धान कैरक ब्राम्हण जाइतके एक प्रखर विद्वान प्रा. डा. गोपाल सिवाकोटी आपन किताव “थारु जाती” मे लिखने छै जे अधिकांश थारु सब आपनके हिन्दु कहैछै, महज उ सबके पूजा–पाठके विधि व्यवहार या संस्कार हिन्दु सबसे पूरे मेल नै खाइछै । यै बातसे यी प्रष्ट हैछ जे थारु सब हिन्दु नै चियै । यै तथ्य सबके आधारमे स्पष्ट हैछै जे भगवान बुद्ध थारु जाइतके छेलै और थारु सब बुद्धके अनुयायी । अपनासब यानी सम्पूर्ण “पल्टु चौधरान” बंशावलीके विषहैरिया बन्धुसब विषहैरके सेवा (पूजा) करैत एलचियै यैमे दुई वात नै भ्यासकैछै । विषहैरक आपनसे अलग नै कैर सकैचियै । यी त हमरासबके प्रमुख देवताके रुपमे स्थापित छै । त दुवारे हमसब एकर घर–घरमे पूजा करैचियै । त लिय, यैवातके पुष्टिके लेल हम एकटा बौद्ध कालिन ऐतिहासिक कथासे स्पष्ट करावैले चाहैचियै ।
(कथा ः विषहैर देवता)
बुद्ध गयाके प्राचिन नाम उरुवेला रहै । तै वस्तीमे काश्यप गोत्रके तीन सहोदर ब्राह्मणसव रहैछेलै । जेकर नाम रहै क्रमशः उरुवेल काश्यप, नदी काश्यप और गया काश्यप । ऊ ब्राह्मणसब तिनु भाई अग्नी पूजामे बहौत विश्वास राखैछेलै । तिनु भाइ आपन आपन शिष्य सबके साथ अग्नी पूजा करैत रहै । अग्नी पूजाके बात सुइनके एक दिन भगवान बुद्ध ऊ सवके सही और उपर्युक्त शिक्षा दैके वास्ते उरुवेला दिसर यात्रा
कैलक । भगवान बुद्ध आपन आश्रमसे यैहिसावसे चलल ताकि ओइठाम पहुचैत साँझ पैरज्या । जाब भगवान बुद्ध साँझहु पहर उरुवेल वस्तीमे पहुचल ताव उरुवेल काश्यप सभेट भेल । ओकरा कहलकै जे तोरा सबके तकलिफ नैहेतौ त एक वात पुछु ? ताव उरुवेल काश्यप जवाफ दैछै जे हँ हँ पुछु ने, नै डर्याके कोनो तकलिफ नै ह्यात । ताव भगवान बुद्ध कहेलागल जे हमरा चलैत चलैत यै ठाम साँझ पैरग्याल स
हमरा भैर राइतके खातिर यै अग्नी पूजा (होम) घरमे आराम करैले दिय । हँ हँ हेतै हमरा कोनो तकलिफ नै ह्यात कैहके उरुवेल काश्यप जवाफ देलक और पुनः कहलक ज देखियौ महात्मा जी ओइठाम एकटा भयंकर विषधर साँप रहैछै से अहाँ ओइठाम केनाक रहे सकबै ? कोनो बात नै हमरा नै कुछो करतै कैहके भगवान बुद्ध जवाफ देलक । ओइ तरहके जवाफ सुइनके उरुवेल काश्यप बुद्धके कहलक जे तहन अहाँके जेहेन विचार, अहाँके इच्छा आइछ त विश्राम करु । ताव भगवान बुद्ध ओइ घरमे यज्ञ कुण्डके निजदिक घाँस –पुवारके विछावन विछ्याके पल्थी माइरके बैठग्याल और विपश्यना ध्यान करेलागल । जाव निसिभाग (मध्य राइत) भ्याल ताव ओइ यज्ञ कुण्डसे एकटा भयंकर कालासाँप निकललै और भगवान बुद्धके उपर आपन विषैला हवा फुकेलागल, फुकैत फुकैत भिनसर भ्याग्याल साँपक सम्पूर्ण विष समाप्त भ्याग्याल मगर भगवान बुद्धके कोनो असर नै कैलकै । ओकरा डँसैके साहास नै क्या सकलकै । जाब अनगुत भ्याग्याल ताब ऊ विषहिन काला साँप मुरभ्mयाके भगवान बुद्धके पिण्ड पात्रमे ज्याके बैठग्याल । ओइ महात्मा बुद्धके राइतम साँप डस्ने हेतै और मोइरगेल हेतै कैहके तिनो भाई काश्यप ऋषि सव सोचने रहै । मगर आश्चर्य के वात कि भेलै त, जाव अनगुत भेलै ताब भगवान बुद्ध ओइ विषहिन साँपक बैठल पिण्डपात्र हाथमे ल्याके ओइ आग्नी पूजा घरसे वाहर निकलैत देखके काश्यपऋषिसब डरसे भागेलागल ।
ताव भगवान बुद्ध ओइ सबके रोइकके कहे लागल जे “येह्या चियौ तोरा सबके साँप ? साँप के शक्ति हमर शक्तिद्वारा नाश भ्यागेलौ । यी त हमर मित्र भ्यागेलौ ।” चेला सहित तिनु काश्यप ऋषि मनेमन घमण्डके साथ कहेलागल जवास्तवमे बुद्ध बहौत शक्तिशाली आदमी चियै लेकिन हमरा सबके जखा शक्तिशाली ततैयो नै हे तै । तत्पश्चात उरुवेल काश्यप बुद्धके संगे सत्संग करैत करैत बुद्धके शक्ति आपन शक्तिसे बहौत बरका उच्च भेलहा अनुभव क्याके बुद्धके चेला बैन ग्याल और ओकर साथ साथ ५०० जवान चेला सब सेहो ओकर साथ चैल ग्याल । तैहना ३०० जवान चेला नदी काश्यपके और २०० जवान चेला गया काश्यपके कैरके जम्मा १००० चेला सहित तिनु काश्यप बन्धु ब्राह्मणसब भगवान बुद्धके मार्गमे लाइगग्याल अर्थात् भगवान बुद्धके शिष्य बैन ग्याल और धर्मके प्रचार करे लागल । अै तरहसे दुनियाँमे बुद्धक
अनुयायी बरहैत गेलै अर्थात् बुद्ध धर्मके प्रचार जोर –तोर से भेलै और वोइ समयमे यी धरम बहौत द्रुत गतिसे संसारमे फैलगेलै लेकिन विरोधी सबके कारण समयक कालखण्डमे आईवके धरासाही भ्यागेलै । अखनी फेनो एकर पुनरउत्थान भ्यारहल छै । भगवान बुद्ध साँपके विषके आपन विपश्यना ध्यान शक्तिसे हरण क्याके जितलेलक अर्थात साँपके विष हैर लेलकै । तहैसे विषहर अथवा विषहैर (विषके हरण करैवाला) नामसे भगवान बुद्धके तै दिनसे पुकारे लागलै । और ओकर उपदेश या धर्म मानैवाला थारुसब आपन देवताके “विषहैर” और आपनके “विषहैरिया” कहेलागल । यै ढंगस अपनासब “विषहैर” के नामसे बुद्धके पूजा करैत रहलियै आ अखैनियोतक कैरते चियै । येह्या त चियै अपनासबके असलका संस्कार । यि कथासे यी स्पष्ट हैछै जे प्रकाण्ड ब्राह्मण सब त आपन आपन १००० शिष्य सहित बौद्ध धर्ममे समाहित भेलैत नारीझाँटी के कोन सवाल छै । चारो तरफ बुद्धक धरम फैल गेलै । तैमे थारु सब त पैहनैसे सूर्य वंशीय क्षेत्रीकुलके बौद्ध धर्मावलम्वी चिय ।
चिरं तिट्ठतु सधम्मो ।
भवतु सब्ब मंगलम् ।
थारुमे कलियाहा आ महर्षिया पन्थ
थारु जाइत मे खास कैरके दुईटा शाखा मुल रुपमे देखल जाइछ्रै । ऊ चियै “कलियाहा” आ “महर्षिया” पन्थ । विशेष रुप से काली के पूजा करैवाला अर्थात् काइटमाइरके खाइवाला आ आपन कुलदेवता के सुगर के बली पूजा करैवाला तथा जाँर –दारु खाइवाला के कलियाहा पन्थ से जानल जाइछ । तैहनङ्ग बलीपुजा नै करैवाला, जाँर –दारु के सेवन नै करैवाला महर्षिया पन्थ से जानल जाइछै । लेकिन बहौतो जगह के महर्षिया पन्थ के थारुसब आपन कुल देवता के छागर–पाठी के बली चढ्ह्याके पूजा करैके चलन भि देखल जाइछै । महज यै ठाम गौर कैरके देखैवाला आ बुझ्हैवाला वात यी छैजे, ऊ सब देवताके बली चढ्हाइबो करैछै त पैहने आपन देवता के पूजा केलहा ठाम (पिरही) के केरा के पत्ता स ओहार द्याके झाँपने रहैछै, ताकि खुन के छिट्का आपन देवता के पूजामे ने पैरज्या कैहके । यै ठाम यी बात एकदम स्पष्ट हैछै जे, ऊसब महर्षिया चियै और बली पूजा ओकर आपन संस्कृति के नै चियै । यी त जबरजस्ती उपरसे लादहल गेल्हा कु – संस्कार भ्यासकैछै । औरो एकटा विचार करैवाला बात यी छै कि, अपना सबके थारु समुदाय मे महर्षिया पन्थ के व्यक्ति सब कलियाहा पन्थ के व्यक्ति के देवता कचढ्ह्याल खसी–बकरी के मौसके सेवन नै करैके चलन देखल जाइछै । यै से ई स्पष्ट हैछै जे, ऊ सब देवता के नाम पर काटमार नै करै बाला आपन के पवित्र वर्ग के सम्झैछै जे, कलियाहा सब के चढ्हौवा खेबै त अपना अपवित्र (अशुद्ध) भ्याजेबै । और एकटा उदाहरण द्याके हम स्पष्ट कराबैले चाहैचियै कि, महर्षिया वर्गके व्यक्ति के त सुगर के छुबैयौले नै है छै, खाइके त बाते छोइर दियौ । अर्थात् सुगर न खाइछै । यैहनङ्गखे थारु सब दुई खेमा मे बाँटल गेलछै ।
यी त भेल व्यवहारिक बात के चर्चा । आव चलु यै बातके ऐतिहासिक इतिहास दिसर । मुल रुपमे शाक्य वंश आ कोलिया बंशके उत्पति के इतिहास जाननाई बहौत जरुरी छै । अखैनका शाक्य आ कोलिया के उत्पति के मूल सम्बन्ध कोसल राज्य के इच्छ्वाकु बंश संगे जोरल गेल्छै । विद्वान सबके मत अनुसार आ बौद्ध ग्रन्थ अनुसार पूर्व कालमे कोसल राज्य में इच्छ्वाकु बंश में ओक्काका राजा छैलै । ओकर पहैलका रानी से चाइर बेटा आ पाँच बेटी भेलरहै । चाइर बेटा क्रमशः ओक्कामुख अरण्डु, हस्तनिक आ सिनिसुर छेलै । तहिना पाँच बेटीसब क्रमशः प्रिया, सुप्रिया, आनन्दा, बिजिता आ बिजितसेना छेलै । पहैलका रानी के मरण के बाद राजा दोसर वियाह फेन कैलकै । दोसर रानी मे पैहने बेटे जनम लेलकै, जकर नाम “जयन्तु” राखल गेलै । राजा बहौत खुशी भ्याके रानी के बरदान (बर) माँगैले कहलकै । यआधारमे रानी आपन बेटा जयन्तु के राजगद्दी दैकेलेल इच्छा व्यक्त कैलकै, तैमे राजा मञ्जुरी द्यादेलक । राजा के आपन बचन पुरा करैले पैहैनका चाइर बेटा आ पाँच बेटी सब के देश निकाला कैरके बोनबासके आदेश द्यादेलकै । साथे योहो कहलकै जे “हमर मरण के बाद मे आइबके आपन हक, राजपाट ल्यासकैचिही” । आपन पिताजी के आदेश पालन करैले आज्ञाकारी बेटाबेटीसब सुख –दुःख पुर्वक घुमैत –फिरैत उत्तर भरके दिशामे वाणगंगा लदी कहैछै, ओइ ठाम पुग्लै । हिन्दु साहित्य मे ओइ लदीके भागिरथि कहैछै । ओइजगहके लदीमें लगैमें एक कपिलमुनी के आश्रम छेलै । हुनके शरणमें रैहके हुनके आदेश अनुसार एक राज्यके स्थापना कैलकै, जकरा कपिलवस्तु वा कपिलनगर कहलगेलै । वियाहके विषयमे जातिवाद ककट्टरवादी ऊ राजकुमार सब बैदिक कालसे चैलएलहा संस्कृति मुताविक आपने बहैनसे समागम कैरक वियाह समेत कैरलेलकै । जेठकी बहैन प्रियाके राजमाता के सम्मान द्याके राखलकै, बाँकी चाइर बहैन – चाइर भाइ सँगे वियाह कैरके रेहे लाग्लै । येनङ्खे वैवाहिक सम्बन्ध कायम कैरके परिवार चल्यारहल छेल। कपिलमुनी के सहयोग या निर्देशन से एकटा छोटका राज्य भि संचालन कैररहल खबैर आपन पिताजी ओक्काका थाह पावलकै त “सक्य वत भो कुमारा” अर्थात् कुमार सब पुरुषार्थ कैरके देखाइलकै वाबेटावेटी सब सामर्थवान् भ्यागेलै कैहके प्रसंशा कैलकै । येह्या “सक्य” शब्द पुरुषार्थ वा सामर्थ शव्दककारणसे पुरुषार्थी करैबाला वा सामर्थवान् के प्रतिकमे ऊ कपिलवस्तु राज्य आ परिवारके “शाक्य” कहैलेलाग्लै वा कहलाइलै । जै शाक्य बंशमे भगवान् गौतम बुद्ध के सिद्धार्थ के रुपमें जनम भेल रहै । ओनेभर राजमाता भेलहा जेठकी दैया प्रियाके कनहीक दिनके वाद कुष्ठरोग लाइग गेलै । ओइ समय मे कोल (बैर) के पत्ता खेलासे कुष्ठरोग निक हैवाला जनविश्वास छेलै अर्थात् दवाई करैके तरिका छेलै । यी एकटा सरुवा रोग हैके वजहसे सामाजिक व्यवहारसे अलग रहैके आ राखैके अवधारणा तथा चलन रहै, तै समय में । तहै अनुसार प्रिया के ऊ सब कोल (बैर) के जंगल में लज्याके छोइर देलकै तह समय में बनारसके राजा राम छेलै । ओकरौ कुष्ठरोग लागल छेलै आ तहैसे ओहो आपन कुष्ठरोगक छुटाबैके खातिर बैर के सेवन करैले ओहै बैर के जंगल मे रहैले चैल येलै । एक राइत जंगली जनावर बाघके भैय से प्रिया गाछीके ठाइरमे बैठके त्रसित स्वरमे कानै आ चिचहाइर (हल्ला) करै । बेह्यान भेलापर आवाज जै दिशासे आबैछेलै ओइ दिशामे ज्याके कुष्ठरोगी राजा राम देखैछै त, लड़की (प्रिया) कदेखलकै । ओकरौ ओकरे जखा कुष्ठरोग लागल छेलै । कुछ दिन के वादमे धिरे – धिरे ऊ दुनु गोरे क कुष्ठरोग निक हैले लाग्लै । एकान्त जंगलमे एकेसाथ रहैत –रहैत दुनु गोरे एक आपसमें आसक्त भ्या गेल और बादमें वियाहो क्यालेलकै । कुछ दिनमे पुरापुरी दुनु गोरेके रोग छुइटगेलै, पूर्ण रुपसे स्वस्थ भ्या गेलाके वाद ऊ सब यैबातमें सहमति भेलै जे “आब घुइरके घर नै जेबै, यहैठाम दुनु गोरे आपन दामपत्य जीवन विताइबै” । बादमें ऊ सबके सन्तानो भेलै । ऊ सबके रहैबाला ठाम कोल (बैरघारी) भेलाक कारणसे आ कोलके दवाइ कैरके ठिक हैवाला कारणसे ऊ सबके सन्तानके कोलिया कहैके चलन भेलै । ओइ जंगलमे बाघ आबैछेलै आ बाघहै के कारणसे ऊ दुनु के मिलन भेलै । तै कारण से ओइठामक ब्याघ्रपज्ज कहैछै । ओने राजाराम के नामसे ओइ गामके रामग्राम सोहो कहैछै । कोलिया जनपद (राज्य)के दुई प्रख्यात नगर रामग्राम आ देवदह छेलै । भगवान् बुद्ध के परिनिर्वाण के बाद रामग्राम के कोलियासब भगवान् के अस्थीधातु राइखके एक स्तुप बनाइने छेलै । जे, अखैनियो भि नवलपरासी जिल्लामें सदरमुकामसे दश कि. मी. दक्षिण मे अवस्थित छै । ओह्या चियै रामग्राम के प्राचीन स्तुप । सायद बहौत दिन क बाद में कोलियासब आपन राज्यके राजधानी रामग्राम से देवदह में सार्ने हेतै । देवदह खास कैरके बुद्ध क समयमें भि कोलियासब के राज्य छेलै । येहै प्रकारसे शाक्य आ कोलिया सबके ऐतिहासिक पुख्र्यौली नाता–सम्बन्ध के कारणसे पाछ भगवान् बुद्ध के कालमें रोहिनी लदी के पाइन के विषय ल्याके भि शाक्य या कोलाया के बीचमे बहौत झै – झगड़ा आ सत्रुता भ्याल बात इतिहास बताबैछै । तैयो भि पुख्र्यौली नाता–सम्बन्ध के ल्याके बुद्धकाल तैकमें कोलिया आ शाक्य के बीच बैवाहिक सम्बन्ध कायमे रहल प्रमाण भेटैछै । जे की अखैनियौ भिकलियाहा आ महर्षिया के बीच बैवाहिक सम्बन्ध कायमे रहल देखल जाइछै । बहौत प्रमाणित आ तथ्यगत बात चियै यी । आब शाक्य आ कोलिया के उत्पतिके विषयमे जानकारी भ्यागेलाके बाद हम स्पष्ट रुपस कैहसकैचियै कि इ. पू. ५६३ मे कपिलवस्तु राज्यमे शाक्य बंशीय राजा शुद्धोधन के पुत्रके रुपमे सिद्धाथ के जनम भेल रहै । ओह्या बादमे ज्याके बुद्धत्व प्राप्त क्याके शाक्यमुनी बुद्ध कहलाइलै । कारण यी छैजे, सिद्धार्थ शाक्य कुलमे जनमल रहै । मुनी के हमसब ऋषियो कैह सकैचियै, तै दुवारे ऊ एकटा महाऋषि अर्थात् महर्षि छेलै । सिद्धार्थ गौतम बरका महर्षि भेलाके कारण ओइ बंशके सन्तानसब आपनके महर्षिया केहे लागल हेतै । त, एनङ्खे एक खालके थारु सब अखैनियो अपना के महर्षिया कैहते छै । आब फेरसे हम चर्चा करै चियै कोलिया बंशके । कोलिया के विषयमे और स्पष्ट छै जे, कुष्ठरोग लागल आदमी कोल नामक बृक्षके दवाइके रुपमें सेवन कर्लासे पूर्ण रुपसे ठीक भ्या गेलाके कारण ऊ कोलिया कह्याल छै । ओकर सन्तान सबके सबकोई कोलिया केहे लाग्लै । ओह्या कोलिया शव्द अखनीअपभ्रम्स भ्याके कलियाहा भ्या गेलछै । जे, कलियाहा थारु अखैनियो भि मौजुद देखल जाइछै । येह्या कारणसे इतिहास बत्यारहलछै जे, महर्षिया आ कलियाहा दुओ थारुवे चियै । जेनाकि, उपरमे पैहले ओह्या इच्छ्वाकु बंशसे शाक्य आ कोलिया बंश के उत्पति भेलछै । यि दुनु के मूल एके ठाम छै । तै दुवार थारुसब येहै मुलके चियै, से बात प्रमाणित भ्या रहल छै ।
(भवतु सब्ब मंगलङ्ग)
राष्ट्रिय समिति, नेपाल
paltubishara@gmail.com
9812426793
© पल्टु बिषहरा थारु (चौधरान) बंशावली. All Rights Reserved. Designed by Webpay